फोटो बदलि-बदलि कय - मुदा रंग नहि बदललौ
पोजो बदलि-बदलि कय - मुदा ढंग नहि बदललौ
सुनि ले गे गोरी पतरकी, कियै संग नहि बदललौ!!
फोटो बदलि-बदलि....
नहि बोल तोर बदलल, बस ओले सदा बहइ यऽ!
नहि मोल तोर बदलल, बस गोले सदा रहय यऽ!
मेकअप बदलि-बदलि कय, चाइल नऽ बदललौ!!
फोटो बदलि-बदलि....
जत बेर आइना देखमे, सच तोरा नित देखाइ यऽ!
सच कि जे तोहर मोन मे, फेर कथी लेल नुकाइ यऽ!
गाम-ठाम बदलि-बदलि कय, चीज नहि बदललौ!
फोटो बदलि-बदलि....
बरु राख प्रेम हमरो, चाहत नञि फोटो चकमक!
जेहने रहल छलेँ तोँ, देखिते जे भेलय धकधक!
नहि रूप कहियो गोरिया, दिल केकरो जीत सकलौ!
फोटो बदलि-बदलि..
#अपन_मिथिला
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook