कबिता

प्रवासी मिथिला समाजद्वारा पुन: सहिद परिवारके रू ५१००० सहयोग ।

धनुषा सिनुरजोडा कार्तिक २८ मधेश आन्दोलनके क्रममे सहादत प्राप्त केनिहार सिनुरजोडा -४ धनुषा, टोल अरेरबा निवासी सहिद दिलीप यादवक' पीडित परिवार लेल आइ कार्तिक २८ गते(नोभेम्बर १४ तारिक २०१५ शनि दिन)  प्रवासी मिथिला समाज कल्याण दोहा/कतारद्वारा  ५१,००० ने.रु.सहयोग प्रदान कएल गेल । संस्थाक प्रतिनिधि रवीन्द्र उदासी जी, छुट्टीमे नेपाल गेलाक करणे सहिद परिवारके घरेमे जा' ओतुका गामक लोक  एवं नागरिक समाजके आगु हुनक पिता रामनरेश यादव जी के राहत प्रदान केलक अछि ।

ज्ञातव्य अछि जे कतारमे रहल मैथिल/मधेशी सबसँ ५/१० रियाल  स्वेछिक चन्दा संकलन क' ई संस्था  पीडित परिवारके पैसा पठबैत आएल अछि । अहिसँ पहिनहुं सप्तरी भारदहके सहिद राजीव राउत आ गौरके सहिद राजकिशोर ठाकुर के पीडित परिवार लेल क्रमश: १,११,१११ आ ६६००० ने.रु.पठाओल गेल । तहिना पछिला सप्ताह मात्र महोत्तरी जिल्लाक बखरी निवासी सहिद 'अमीत कापड' परिवारके ने. रु ५१००० राहत प्रदान केने छल ।

प्रवासमे रहियोक अपन काजके साथ-साथ एहि संस्थाप्रति समर्पित युवासबमे- मनिष राय,रवीन्द्र उदासी,बलराम यादव, अब्दुल रजाक,बेचन महतो, राजेश साह,असरफ राइन,विन्देश्वर ठाकुर,प्रणव झा, विजय यादव,राम उदगार यादव लगायतके युवासब रहल छथि ।

@Bindeshwar thakur

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top