कबिता

सौउसे महोलाके खुसीसे भरली!!
:
स्कूलमे हमर सबदिन होइत छल पिटाई!
हम रहली 2Gमैडम छल Wi-Fi!!

ओकरा ऊपर छल हमर सौप्टवेर पुराना!
टियूब लाईटमें जखन हम रहली छल CLGके ज़माना!!

गणितमे त हम सबदिनसे छलि फ्लॉप!
दिमागके पासपोर्ट बहुते दिनसे छल लॉक!!

जखन-जखन हमरा स्कुल पॅहुचेमे लेट भेल!
प्रिंसपलके डॉटसे हमर सौप्टवेयर अपडेट भेल!!

हाई स्कूलमें प्यारके वाइरस पैईसगेल!
दिमागके सबहे सुरक्षित डाँटा समाप्त करिगेल!!

नजर से नजर हमर टेकरैलैई दस क्लासमें!
प्यारके मैसेज ऐलै हमरा दिलके इनबॉक्समे!!

कॉलेजमें देखलि हम ओकरा बैसल दोसरकेँ संगमें!
इश्क के भाइरस एन्टिभारस बैनके गरेलागल हमरा दिलमें!!

उ रियल छल मुदा फेक आइडिसन लागेलागल!
अपना मिठीमीठी बातसे हमरा संगियोके ठकेलागल!!

आके वापस दिलमें हमरा करेलागल नॉक!
मुदा हम अपनेसे ओकरा कैइलि बॉलक्!!

हमरा जिन्दगीमे आईबी प्यारके कोनो स्पेस नै!
हम मीत छी पगली कोनो मजनूके अबषेस नै!!

कॉलेजस निकलके सिखे लागली दुनियादारी!
बनली येगो सायर प्रेमप लिखे लगलि देस सारी!!

डरैय् दिल जिन्दगी हमर वेस्ट न होइ!
जे कुछियो लिखब बरशो तक पोस्ट होइ!!

रविन्द्र कुमार यादव

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top