यै पार सँ ओई पार तक अछि इतिहास हमर ।
अधुरे अछि होबलेल काज बहुत रास हमर ।।
ककरोसँ कियाक डरब सत्यक बाट पर ।
अछि माँ जानकीक' असीम अनुकम्पा पास हमर ।।
पलायण करि नहि जायब कहियो रण परसँ ।
अभावेमे रहि हेरा गेल अछि डर त्रास हमर ।।
बनि मौधमाछी मेहनत करब नित एकतामे ।
तब पुरा होएत अहाँक' सपना आ आस हमर ।।
समहरिक' चलब बिकट बाट हम पथदर्शी ।
भेल अछि बहुतो आगि पानिसँ आभास हमर ।।
करब विश्वास आब नहि ककरो प्रति मधुशाला ।
जे सतेलक आई धरि छल सहोदर खास हमर ।।
© नारायण मधुशाला...!!!
#अपन_मिथिला
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook