धन्य भेलौह हम जन्म लेनौह जे
मिथिला सन पावन नगरी में
इ सौभाग्य हमरा अछि भेटल
जे पाईन पीबैत छी गगरी में
विद्या बाबा केर गाम जतS अछि
कलिया अछि एही नगरी में
माँ सीता के नैहर अहिठान
इ शोर मचल अछि नगरी में
चतुर्दशी सन दिन में एलौह
शान राखैत छी पगरी में
पाहुन बनि श्री रामों ऐलाह
हरहोर मचल अछि नगरी में
उगना बनि श्री शंकर ऐलाह
अपने मिथिला नगरी में
बौरहबा अछि औढर दानी
इ सब बुझैत अछि नगरी में
#रौशन मिश्रा______
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook