फसि गेलूँ हम समाजक' भिडमे आयब कोना ?
कहूँ अहाँ लेल प्रेमक' फूल हम लायब कोना ?
बड्ड भारि समस्यामे फसिगेल छी हम सजनी ,
अहाँ संगमे केल वादा कसम निभायब कोना ?
पियास से हमर कण्ठ सुखिरहल छै अहि ठाँ ,
कहूँ आब प्रितक गीत हम प्रिय गायब कोना ?
डेग-डेग पsआँगा पाछा पहरेदारी लागल छै ,
अपन संदेश हम अहाँतक पठायब कोना ?
अहाँ संगके ओ प्रेमक' पल बड्ड याद आवे छै ,
दिल पs पाथर राखिके अहाँके भुलायब कोना ?
प्रयास प्रेमी मैथिल®
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook