रीतिरिवाज के नाम पर कीयाक ,
औरते के खाली दबाबल जाईय ?
पत्नी के मर्लापर जौँ पती ,
कैरी पाबैये दोसर विवाह !
त हमरा कियाक जिनगी भरके लेल,
उजरा सारीमे ओझराबल जाईये !
जौँ पत्नी मैरी जाइये कीनको,
त ओ भजाईये भगवानक मर्जी ,
त पती मर्लापर कियाक हमरा ,
डाईन,सैँखौकि कहींक सताबल जाईये ?
हमहू छी मानब हमरो अईछ ,
स्वतन्त्र भ जिनगी जीयके हक़ !
त हमर सब ईकक्षा आकांक्षा के कीयाक ,
अपने हाथे गला घोंटबाबल जाईये ?
हमरो अईछ मोन फेरोंस,
सुरु करके अपन जिनगी !
त अहा सब रोक कियाक लगाबैछि ,
कि विधवा नै फेरस बियाहल जाइये ?
राम शंकर दास
सिरहा नेपाल
#अपन_मिथिला
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook