कबिता

🌹=★गजल★=🌹

अहाँके हँसब अहाँके बाजब मोन पड़ैए
हमरा देख एतराक चलब मोन पड़ैए

मोन पड़ैए अहाँक बात-बात पर रुसब,
घड़ी-घड़ी हमरा तङ्ग करब मोन पड़ैए

बहुत दिन भऽ गेल देखला अहाँक तामस,
अहाँक डाटब आ फटकारब मोन पड़ैए

दुनियाँसँ नजर बचाबैत सबदिन प्रिये,
बगीयामे छुपि-छुपिक मिलब मोन पड़ैए

गिरा दै छल चुनरी अहाँक वैरी बसात,
तकरा पोटासन समहारब मोन पड़ैए

®नरायण मधुशाला

✔ @[480690508763222:]

#अपन_मिथिला

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top