हमर गुडिया रानी
---------------------
अंगनाके हमर गुडिया रानी
आइ भ'रहल विदाई छै !
माएके करेजा फाटल
नयना नीर बहाई छै !!
रहैत ओकरा हमर अंगनामे
हरदम चाँन चकोर रहैय !
साँझ बिहान हरदम ओ
बाबु माएके कहल करैय !!
बेटा बेटीमे नै कोनो अन्तर
त' किए बेटिये होएत पराई छै !
बेटी माए बापके आशिर्वाद मांगैय
बेटा धन लेल करैत लडाई छै !!
सुनैत समाद बेटी
दौरैत चलि आवैय छै !
माए बापके दु:ख नै बुझै बेटा
डिस्कोमे धन बहावैय छै !!
आँखीके सामनें मे बेटी
भ'जाएत छै सियानी !
थारीमे भात दैय छै
लोटामे भरिके पानि !!
देख कs बेटीके चाँनसन चेहरा
माए बापके रहल नहीं जाइ छै !
अंगनाके हमर गुडिया रानी
आइ भ'रहल विदाई छै !!
- M. H. M.
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook