" पिया घूरि आऊ ने गाम यौ
कियै दिन आब गमाबै छी ,
नित हमरा सपना में आबि
सदिखन निर्मोही सतबै छी ।

लोक लाज के डर सं हम
फोन सं बातो ने क पाबै छी ,
सासु ननद जी के सुतला पर
चोरा क मिस कॉल देखै छी ।
छाती के गैलरी में सेव कैल
छवि देखि हम नोर बहाबै छी ,
उड़ा नै दियै करेजक ई फाईल
मोबाईल के लॉक क राखै छी ।
दलान परका कैल आहाँक पोस्ट
पढ़ि क ' मोन के हम बहलाबै छी
दलानी के हास परिहास देखि क
नेट पैक भरा सिरमें फोन धरै छी ।"
# हरेकृष्ण
॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥
" नेट पैक भरा सिरमें तर में मोबाइल धरै छी "
॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥
🌺🌹🌹🌹🌹🌺🌺🌺💗💗💗
पोस्ट - मनोज कुमार राउत
🌺🌹🌹🌺🌹🌺🌹🌺🌹🌺🌹
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook