कबिता

संघीय गठवन्धन आ बाबुरामके ‘६८ दलीय मोर्चा’ संयुक्त आन्दोलन कर्वाक कएलक घोषणा  



अशोक कुमार सहनी, दोहा कातर, अपन मिथिला/ बैशाख ३ गते,संघीय गठवन्धन आ डा. बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक ६८ दलीय गठबन्धन संयुक्त आन्दोलन कऽर सैद्धान्तिक रुपमे सहमत भेलअछि ।मधेसी मोर्चासहितके संघीय गठवन्धनसभ संविधान संशोधनके माग करति आन्दोलन घोषणाके तयारी कएनेअछि । ओ सम्भवतः आय बैशाख ३१ के स्थानीय चुनावके लक्षित कऽक आन्दोलन घोषणा करके जनौलकअछि ।आगामी स्थानीय तहके चुनावमे भाग लेबके तयारीमे रहल ६८ दल भट्टराई नेतृत्वक नयाँ शक्ति पार्टी नेपालके अगुवाईमे दलीय चुनाव चिन्हके माग करति शनिदिनसँ रिले अनसन सुरु कएनेअछि ।शनिक साँझ भट्टराई सहित मधेसी मोर्चाक नेतासभबीच भेल छलफलमे संयुक्त आन्दोलन कर्वाक समझदारी भेलअछि । सम्भवत आय साँझधरिमे संयुक्त वक्तव्य अएवाक रामसपाके महासचिव केशव झा बतौलनि ।भट्टराई सहितके प्रस्तावके मधेसी मोर्चाक नेतासभ गठवन्धनके बैसार छोट्याक छलफलके लेल गेलछल ।बैसारमे दुनु पक्षसँ टोली बनाबिक साझा मुद्धा पहिचान करके आ राष्ट्रिय आन्दोलन अगाडि बढाबके सैद्धान्तिक सहमति भेल महासचिव झा जानकारी देलनिअछि ।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top