कबिता


कलर्स चैनल पर सिंगिंग रियालटी शो 'राइजिंग स्टार' मे 'रनर अप' रहल मैथिली एहि प्रतियोगिता मे सभ सं बेसी भोट हासिल केनिहार प्रतिभागी रहलाक बादो फाइनल मे बेनेट दोसांझ सं हारि गेलीह. खबरिक अनुसार बेनेट मात्र दू भोट सं विनर भेलाह. तथापि मैथिली संतोख केलनि अछि आ समस्त भोट देनिहार लोकनि कें आभार जतओलनि अछि. शो मे सेहो ओ अनेक बेर मैथिल लोकनि कें फराक सं धन्यवाद देब नै बिसरैत छलीह. 

संगीतक क्षेत्र मे बहुत कम समय मे अमिट छाप छोड़निहारि मैथिली ठाकुर मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी (उड़ेन)क छथि आ दिल्ली प्रवासी छथि. मैथिली कें संगीतक प्रारंभिक शिक्षा-दीक्षा अपन पितामह बच्चा ठाकुर आ पिता रमेश ठाकुर सं भेटल छनि.
— — — — —
"Maithili Thakur अपन मातृभूमि, भाषा आ सकल समाज कें माथ उन्नत केलनि. लोक कें एक केलनि. किछु बात त' छै मैथिली मे, जे मैथिल कें हुनक हारि पचि ने रहल छै. #मैथिली संगीते नै सकल समाजक गहना छी. जीबू, जागू...अहांक भविष्य उज्ज्वल अछि." — रूपेश त्योंथ, संपादक 
— — — — —

मैथिली एखन धरि संगीतक क्षेत्र मे कतेको विशिष्ट पुरस्कार प्राप्त क' चुकल छथि. राष्ट्रीय स्तरक गायन कार्यक्रम 'इंडियन आइडल जूनियर-2015' आ 'सारेगामापा' सहित कतेको रियलिटी शो मे अपन प्रतिभाक परिचय द' चुकल छथि. 'आई जिनियस यंग सिंगिंग स्टार' जीतलाक बाद यूनिवर्सल म्यूजिक द्वारा मैथिलीक 'या रब्बा' अलबम कें लोक सभ खूब पसिन केलनि अछि. एहि अलबम मे 'शैतानिया' टाइटल सांग कें यू-ट्यूब पर 16 लाख सं बेसी बेर देखल-सुनल गेल अछि.

उल्लेखनीय अछि जे सिंगिंग रियलिटी शो केर 'जज' मुख्य रूप सं दर्शक छलाह जे लाइव पसंदीदा प्रतिभागी कें मोबाइलक जरिए भोट देइत छलाह. एहि शो मे जज रूप मे शंकर महादेवन, मोनाली ठाकुर आ दिलजीत दोसांझ छलाह.

फाइनल रिजल्ट कें ल' मैथिल लोकनि ओ मैथिलीक फैन लोकनि सोशल मीडिया पर कलर्स चैनेल पर अपन तामस बहार केलनि. ई मैथिलीक फैन फोलोविंग कें देखा रहल छै. मैथिलीक पिता रमेश ठाकुर कहै छथि जे एहि प्रतियोगिता सं मैथिलीक पहिचान बेस विस्तारित भेलनि अछि.

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top