कबिता

#प्रेम_कविताक_बाद


✍👤manoj shandilya
 अपन मिथिला/ श्रीमती शारदा झा जीक पहिल एवम् बहुप्रतीक्षित मैथिली काव्य संग्रह 'प्रेम कविताक बाद'क विमोचन आगामी १४ मई केँ हैदराबदक मैथिली साहित्य मंच 'देसिल बयना' द्वारा आयोजित बाबू भोलाल दास तथा धूमकेतु पर केंद्रित 'मिथिला विभूति पर्व'क अवसरि पर हुअय जा रहल छनि।

आब ई पोथी अपने सभक हाथ मे पहुँचबाक लेल उताहुल अछि। कवयित्रीकेँ अपने सभक स्नेह आ आशीष निरंतर भेंटैत रहलनिहें जकरे प्रतिफल थिक ई 'क्रिएटिव कैंपस'क तेसर प्रकाशन। विश्वास अछि जे हुनका ई स्नेह आ आशीष आगुओ अहिना लगातार भेंटैत रहतनि। अपन बहूमूल्य पाठकीय प्रतिक्रिया तथा समीक्षाक माध्यमे कवयित्रीक मार्गदर्शन करैत रहियनि से निवेदन।

१५० टका मूल्यक ई पोथी अपने सभकेँ लोकार्पणोपरान्त मात्र १३५ टका मे (डाक खर्च सहित) रजिस्टर्ड डाक सँ पहुँचायल जायत। जे केओ पोथी संग्रह करबाक इच्छुक होथि से विस्तृत जानकारीक लेल manoj shandily जी के वा शारदा जीकेँ कृपया मैसेंजरक माध्यमे संपर्क करथि से आग्रह।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top