कबिता

लहानके यातायात कार्यलयमें अज्ञात समूह द्वारा बम विष्फोट (फोटो के साथ मे)

अशोक कुमार सहनी, दोहा कतार,अपन मिथिला /लहान २०७४ बैशाख २८ - सिरहा जिल्ला के लहानमे रहल सगरमाथा अञ्चल यातायात कार्यालयमें अज्ञात समूह शक्तिशाली कुकर बम विष्फोट केने अछि । अज्ञात समूह कार्यालयके टॉयलेट में राखल  शक्तिशाली कुकर बम विष्फोट भेल अछि। बम विष्फोट से कार्यालय भवन भित्र रहल सब भिभग के देवाल सब मे दरार परल साथ में खिरकी के शीश सब फुटल अछि । बम कार्यलयके सार्वजानिक टॉयलेट में रखल छेल। टॉयलेट यातायात कार्यलयके पहिलका तल्लामें रहल  बहुत जोर से आवाजमें विष्फोट भेल छेल।यातायात कार्यलयके प्रमुख ओमकार प्रशादके अनुसार बम विष्फोट बैराइसप्ति दिन करीव दुपहर के १२ बजे समयमें भेल।सब कर्मचारी अपन-अपन काममें व्यस्थ छेल एका एक बहुत बड़का आवाज येल सब डेराके अपन ज्यान बचाबै में कोई कत तs कोई कतs भागल छेल , हम सब अपन काम करहल समय मे  एहेन घटना होइ से हमरा सब के डर भरहल  बताबैत ,कतो ककरो से कोनो किसिमके धम्कि सेहो नै यल आ कोई  पैसा सेहो नै मागने बम विष्फोट केकरेलक कुछो नै कहि सकै छि । कतेक क्षति भेल से अखुन नै   कहि सकै छि से जानकारी देलक।

बम विष्फोटके कारण कार्यलयके सब कामकाज ठप्प भेल अछि। विष्फोटके कारण ओतके कर्मचारीसब संग आसपासके स्थानीयवासीसब डरा गेल अछि। एहि बीच मे ईलाका प्रहरी कार्यलय लहानके डिएसपी हिरा बहादुर पाण्डे के टोलि पुगी घटनाके अनुसन्धान करहल अछि।

बम विष्फोट केय आ किया करैलक से ई समाचार तयार करै तक कोई नै जिम्मेवारी लेने अछि । विष्फोटसे  कार्यलय प्रमुखके हातमें शिशासे हल्का चोट लागल अछि ।







0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top