दहेज मुक्त समाज अप्पन अभियान संस्थाक नियमित बैठार दोहा कतार आ सउदी अरेबिया मे सम्पन्न भेल
अशोक कुमार सहनी, दोहा/क़तार ,अपन मिथिला/
बीतल शुक्रदिन एहि मिति २०७४बैशाख महिनाके २९गते/2017-05-12तारिक के दोहा कतार के एशिया टन/ग्रेन्ड मल सनैया मे संस्थाक अध्यक्ष श्री ललित कुमार प्रेमर,सल्लाहकार श्री सञ्जय कुमार साह आ दोशर सल्लाहकार श्री बिरेन्द्र पासवान के अध्यक्षता मे राखल गेल छल।संस्थाक कार्यकर्ता लगायत आन बहुत रासे व्यक्ति सभ के उपस्थिति संख्या मध्यम देखल गेल।उपस्थित भेल संस्थाक अध्यक्ष श्री ललित कुमार प्रेमर ज्यू बैठक के सम्बन्ध करयत कहलनी समाजक कुप्रथा-दहेज,महिला हिंसा,बालविवाह,बाल शोषण,लैङिक भेदभाव लगायत विभिन्न जे कुरिती सभ छै वो आब अन्त करवाक चाहिँ।गाउँ गाउँ मे जनचेतना मुलक कार्यक्रम सभ चलाक लेल "दहेज मुक्त समाज अप्पन अभियान" संस्था सभक गाउँ घर,जिल्ला आ सहरमे बहुत जल्दी कार्य समितिके सथापना कयल जायत।अध्यक्ष प्रेमर लगायत उपस्थिति सल्लाहकार श्री सन्जय कुमार साह बैठक मे उपस्थित भेल आन बहुत रासे बुद्धिजीवी ज्यूके प्रतिक्रिया आ प्रस्नक जबाफ दैत कहलनी समाजके लाखौ हजारौं बेटी के अधिकार के लेल हम सभ यूवा मिल संस्थाके सक्रिय रुपसे आगा बडा रहल छी।बेटी बचाऊ;दहेज हटाऊ,शिक्षा सँ बन्चित नय करियौन,महिला के अधिकार दियौन।घर परिवार मे स्वास्थ आ स्वच्छता,निक व्यवहार चाहिँ त आर्दश विवाह करु आ करवाऊ।तहिना उपस्थित भेल आन बहुत बुद्धिजीवी ज्यू सभ अप्पन अप्पन सल्लाह देलनी आ संस्थाके कार्यकर्ता सभके धन्यवाद दैत कहलनी संस्थाके उत्तर उत्तर प्रगतिके कामना करय छी।हम सभ सेहो संस्थाके साथ देब सन्कल्प लेलनी।
तहिना सउदी अरेबिया के दमाम सहर सिको बिल्डिङ
मे उपाध्यक्ष श्री रामकुमार मण्डल,सचीव श्री मनोज कुमार पासवान,सल्लाहकार श्री शिवसंकर ज्यू लगायत संस्थाक विभिन्न कार्यकर्ता ज्यूके नेतृत्व मे बैठार राखल गेल छल।बैठारके सोभा बढावय के लेल विभिन्न कम्पनी मे कार्यरत नेपाली मधेसी करिब १५० सं बेसि संख्यामे उपस्थित भेल रहनी।बैठक के सम्बोधन करयत सचीव श्री मनोज कुमार पासवान संस्थाके परिचय देलनी।संस्थाके कार्य उदेश्य आ कर्याकर्ता के सहभागिता के प्रसंसा केलनी।उपस्थित आन बहुत रासे बुद्धिजीवी ज्यू सभक प्रश्नके उत्तर दैत नयाँ रुराना कार्यकर्ता के हौसला देलक।हमरा अहाँके समाजमे लहरल जे कुप्रथा छकी वो प्रथा सं समाजके मुक्त करवाक लेल"दहेज मुक्त समाज अप्पन अभियान"संस्था स्थापना कयल गेल अछी।
यी एकटा मिसन अछी।यदि आइ के दिन मे हम अहाँ ध्यान नय देवय तहन काईक के दिनमे बहुत बढका रोग लागि शकति अछी समाजमे।भविस्य मे आवय बला सन्तति के लेल घोर संक्ट उत्पन्न भ सकयती छै।ताही लेल यी लडाइ लड्यके लेल हिम्मत के साथ सहभागी जनाउ।गाउँ गाउँ सँ उठु घर घर सँ उठु आ अवाज उठाउ।बेटी बचाऊ;दहेज हटाऊ।बेटीके दहेज नय शिक्षा सँ हुनक जिन्दगी के सजाऊ।दहेज मुक्त समाज के निर्माण करु,स्वर्ग सं सुन्दर समाज बनाऊ।
बैठक मे उपस्थित भेल बुद्धिजीवी आ महानुभाव के अनुसार आई विदेश खुलल छै त हम अहाँ दहेज दैछी आ दहेज लय छी।मुदा विदेश जँ बन्द भ जाय त कतसे दहेज देवय आई के छोडु बल्की काईलके बारेमे सोचु।अगर आइके दिन मे यी कुप्रथा नय रोकल गेल त समाजमे जियल बहुत मुस्किल भ जायत।ताहीलेल सम्पुर्ण मिथिला बासिन्दा मधेसी मे अनुरोध अछी के अप्पन अप्पन घर घर सँ यी अभियान के आगा बढाऊ।सभ क्यो मिलके सहयोग करु अप्पन बेटी नय बल्की अप्पन बेटी बहिन जका मानी समाजक हजारौं लाखौं बेटीके अधिकार के लेल यी लडाइ लडल जाय।महिलाके अधिकार,बालविवाह,दहेज प्रथा आ दुर्ववहार के अन्त करवाक हेतु दहेज मुक्त समाज अप्पन अभियान संस्थाके साथ देनाय सबहक कर्तव्य अछी।।
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook