कबिता

पहिलका बेरीके स्थानिय चुनाव में कम्तीमें ७१ प्रतिशत भोटिंग भेल: निर्वाचन आयोग




अशोक कुमार सहनी ,अपन मिथिला /  ३१ वैशाख – निर्वाचन आयोग आय रैबदिन भेल भोटमें ७१ प्रतिशत भोटिंग भेल से जानकारी देने अछि । 

भोटिंग के समय समाप्त भेल तब आय साँझ में निर्वाचन आयोग जम्मा केने पत्रकार सम्मेलनमें प्रमुख निर्वाचन आयुक्त डा अयोधी प्रसाद यादव अनुमानित रुपमें ७१ प्रतिशत भोटिंग भेल से जानकारी देने छेल । आयोग रैबदिन भोटिंग कतो कतो घटना बाहेक शान्तिपूवर्क संम्पन भेल से उल्लेख  केने अछि।

पहिलका बेरी में रैबदीन ३ प्रदेशके ३४ जिल्लामें निर्वाचन भेल अछि। जम्मा भोटर संख्या ४९ लाख ५६ हजार ९ सय २५ मतदातामेसे  ७१ प्रतिशत भोटिंग भेल अछि ।






0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top