कबिता

खबरदार मधेशी नेता विचार (श्यामसुन्दर यादब )
लेखक - श्री श्यामसुन्दर यादब जी




अन्ततः प्रदेश नम्वर–२ के चुनाओक तिथि घुसका कए आश्विन २ गते राखल गेल अछि । प्रदेश नम्वर–२ मात्र नहि मधेशी वाहुल्य क्षेत्रसभमे सेहो बिना संविधान संशोधन चुनाओ नहि होयवाक चाही । इहो निर्णय शंकास्पद अछि कारण जे खस शासक सभके नियतमे खोंट अछि । संशोधन एखनो क’ कए निकास भ’ सकैत छल । मुद्दा एहिदिस कोनो पहल नहि कए चुनाओके समय परिवर्तन कएनाइ सेहो मधेशी जनताक लेल खुशीक बात नहि थिक । खबरदार राजपाक नेता लोकनि अपन मागप्रति अटल रहल जाय । मधेशी जनताक भावना विपरित सेना पुलिसक बन्दुकके दम्भमे कोनो चुनाओ जनता स्वीकार नहि करत । सम्पूर्ण मधेशवादी शक्तिसभ मधेशक मुद्दामे एकतावद्ध भेनाइ आवश्यक अछि । बाद बाँकी निर्णय जनता अपने करए लेल सक्षम अछि ।
 कथित चुनाओके ढोल पिटनिहार नेता एवम् मेयर मुखिया बनए लेल लालायित राष्ट्रवादी सभक लेल मैथिलीक ई कहवी शायद सान्दर्भिक होएत ‘कानल कनियाँ रहिये गेल, कानी छटायल बर चलिये गेल’



✍👤श्यामसुन्दर यादब 


0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top