कबिता

काठमाडौं के बात नै पुछु


✍👩 गायत्री सिंह 



कुकुर  देखि  सावधान! लिखल
पैघ घर सबहकऽ बात नहि पुछु

हनि  सिंह जाकी  केश सबहक
हेयर स्टाईलकऽ बात नहि पुछु

फैशन  शो  रस्ते  पेरा  देखलौ
मिनि  ड्रेसकऽ  बात  नहि  पुछु

प्रेमलीला शो चलैत बाटघाट पर
गोदावरी ठाम कऽ बात नहि पुछु

दुधपिया बच्चा हुक्का  मे मग्न
बानेश्वर केफे के बात नहि पुछु

रस्तेपेरा गरदा आऽ गाडि'कऽ जाम
चक्रपथक कलंकी कऽ बात नहि पुछु

भोलाबाबा कऽ सँग सेल्फी खिचैत
सांगा धर्मस्थल कऽ बात नहि पुछु

पुजारी, भिखमङ्गा सम्मान छल
पशुपतिनाथ कऽ बात नहि पुछु

महङ्गाई कऽ धार मे डुबल अछी
काठमाडौं सहरक बात नहि पुछु

गायत्री सिंह
लहान

कबियात्री - गायत्री सिंह जी

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top