- - - गीत - - -
हे गे सुनरी गोर्की,ओढनी छौ कमाल गे
टाटि-टाटि जिन्समे,तु लगैछे बबाल गे
नागिन सन चालि छौ,पातर छौ कमर गे
देख मस्त जवानी,मन ललचैय हमर गे
हे गे छौडी चम्पा . . .
जानमारा अदा छौ,चौवनी मुसकान गे
हे गे गालक तिलवा,लेनैछौ हमर जान गे
हे गे गोर्की राधा . . .
गोर-गोर गाल छौ,चेहरा नैनी ताल गे
कन्खी सँ करैछी, तु सबके हलाल गे
हे गे गामक गोरी . . .
मस्त मस्त आँखि जेना कजराके धार गे
हे माथक टिकली,दिल पर करौ वार गे
हे गे अप्सरा रम्भा . . .
हे गे दिलमे बसेबौ,हम रानी बनेबौ
लकऽ कोरामे तोरा,सहर हम घुमेबौ
हे गे बिरुके रानी . . .
विद्यानन्द बेदर्दी
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook