कबिता

हे माँ, हेमाँ~
हमर दुखक नहि ओर, नहि ओर
हे माँ, हे माँ~~

दुख केर मारल, दुखहि सँ घेरल-२
भरल दुखक घट मोर-२
हे माँ, हे माँ~~
हमर दुखक~~~~

माँगल-चाँगल जे शिशु तोहर-२
तुअ बिनु भेल लिलोह-२
हे माँ, हे माँ~~
हमर दुखक ~~~~

माँ केर आँचर जग लेल छाहरि-२
जगत विदित चहुँओर-२
हे माँ, हे माँ~~
हमर दुखक~~~~

मन होइ निपितहुँ मंदिर तोहर-२
ल' क' अपन दृग नोर-२
हे माँ, हे माँ~~
हमर दुखक~~~~

जएह छी, छी पर अहीं केर बालक-२
हुलसि क' लगबहु कोर-२
हे माँ, हे माँ~~
हमर दुखक~~~~
हे माँ, हे माँ~~
अमित.

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top