बाग बगीचा मे रहए हरीयाली
फूल खिलय ओतs डाली डाली
देश छूटल परदेश धेने छी
एतs त बस अन्हार दिवाली
चान जखन अबै आसमान में
हमरा लेल उ साँझ दिवाली
साथ अहाँके भेट गेल तs
साँझ दिवाली राति दिवाली
दुआ माँगै छी फेर एक बेर
सबहक लेल खुशहाल दिवाली..!
-: आवाज़ गग्न तक
#अपन_मिथिला
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook