आई छठ पूजा के 'खरना'
कार्तीक शुक्ल पंचमी के व्रतधारी दिन भरिक उपास रखलाक पश्चात साँझ के भोजन करैत छथि। एकरा ‘खरना’ कहल जैत छैक। खरना केर प्रसाद लेबय खातीर आस-परोसक सब लोक के हकार देल जैत छैक । प्रसादक रूप में कुसियारक रस वा गूर में बनल चौर सँ बनल खीरक संग दूध, चौरक पिट्ठा आ घी लगाओल रोट बनाओल जैत अछि। अहि में नून या चीनीक उपयोग नै होइत अछि। आ समूचा घरक स्वच्छता केर विशेष ध्यान राखलजैत छैक।
#अपन_मिथिला
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook