......प्रणाम मधेश शहिदके....
अपन माएसँ बेसी माटिके मानलक,जे सपूत
हैंस हैसक धनकैत आगिमे जरि गेला,जे सपूत
हम योहि चिङ्गारिसँ भरल आत्माके सलाम करैछी
ओहि वीर सहिद सपुतके कोटि- कोटि प्रणाम करैछी
खुनके होली खेलै सरकार मधेशक अबादीमे
अपन जिनगीक दाउ लगबै मधेशक अजादीमे
हम योहि नीडर सपुतके गुणगान करैछी
ओहि वीर सहिद सपुतके कोटि कोटि प्रणाम करै छी
अपन अन्तपर नयाँ सुरुवात छातिमे गोलि अबाज गरा
घर परिबारके मोह नै तकै लगबै मधेश जिन्दाबादके नारा
अपन हक जेनै मँगै उनका हम अपमान करै छी
ओहि वीर सहिद सपुतके कोटि कोटि प्रणाम करै छी
रचना :- सोगारथ यादब
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook