ऐलै दिवाली फोरू फटाका
खाऊँ खूब मिठाई l
कथिला झगड़ा करी आपस मे
मिल-जुली रहूँ सब भाई ll
चाइर दिन के जिनगी सबहक
सब करैथ हाई-हाई l
छोट-छीन बात के ल क
नय करूँ कियो लड़ाई ll
एलै दिवाली . . . . . . . . . .
चलू सब मिल दीप जराबी
औथिन लक्ष्मी माई l
तन मन धन स पूजा करबै
मिल जुली क दाई-माई ll
एलै दिवाली . . . . . . . . . . .
रोशन मिश्रा
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook