लहानमे मैथिलीभाषामे पहिलबेर बक्तृत्वकला सम्पन्न भेल
लहान, २५सिरहा ।
लहानमे आइ पहिल बेर मैथिलीभाषामे हम आ हमर पहिचान नामक शिर्षकमे बक्तुत्वकला प्रतियोगिता सम्पन्न भेल अछि । मिथिला स्टुडेन्ट युनियन नेपालद्धारा लहानके मदरल्यान्ड बोर्डिङ् स्कुलमे सम्पन्न प्रतियोगितामे स्कूलभितरेकके विद्याथीसब सहभागी भेल छल । दिनेश रसियाके अध्यक्षतामे सम्पन्न प्रतियोगिताके प्रमुख अतिथि अर्जुनप्रसाद गुप्ता दर्दिला तथा अतिथिमे फिरोज शेख रहल छल । कक्षा ६ सं कक्षा १० तकके १६ गोटे छात्र छात्रा भाग लेने उक्त प्रतियोतिामे प्रथम, द्धितीय आ तृतीय क्रमशः लाला साह, यसराज अग्रवाल र ममता साह भेल छल । एक डेग मिथिलाक बिकासक लेल नाराके साथ अगाडी बढल मिथिला स्टुडेन्ट युनियन नोपाल प्रत्येक विद्यालयमे पुइगक एहन कार्जक्रम आयोजना करत से बात संस्थाक अध्यक्ष दिनेश रसिया जानकारी देलैन । कार्जक्रमके अवधि भरि तेजुमैथिलके मधुर स्वरमे गीतसब सुनैले मिलल त हृदयनारायण, गायत्री सिंह, अर्जुनप्रसाद गुप्ता दर्दिला, गजेन्द्र गजुर लगायतके कवि तथा रचनाकारहरुको रचना, गीत , चुटकिला आदि प्रस्तुत कयाल गेल छल । कार्यक्रमके उदधोषन हृदयनारायण यादब केने छेलैन । विद्यालयमे गणित, अङग्रेजी, नेपाली, विज्ञान, स्वास्थ्य शिक्षा जेहने मैथिली विषयके सेहो रखबाक चाही से संस्थानके लक्ष्य रहल उपाध्यक्ष सृजना गजमेर जानकारी देलैन । पुरस्कारमे बहुतरासं पुरस्कारक बीच बिद्यापतिके रचना एक एक प्रति हस्तान्तरण क्याल गेल छल ।
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook