" हमरो मिथिला महान "
हमरो मिथिला महान यौ भैया ,
जत हसै चादँ आ मुस्की दै दिनकर भगवान यौ भैया ।
खड स छारल घर आ निपल अंगना दलान यौ भैया ,
सागपात फरल ये बारीमे, लतरल आम लताम यौ भैया ।
पगपग माछ,पान मखान भेटैय, भेटैय चुरादहि जलपान यौ भैया ।
हरियर खेत खलिहान,पोखैर,डाबैर, बहैय कमला कोशी बलान यौ भैया ।
धोतीकुर्ता, पाग आ गम्छा पहिर लोग जत करैय अपन संस्कृति क सम्मान यौ भैया ।
ओतै छै हमरो एक गो छोट गाम यौ भैया ।
जत क लोग के छै अलगे परिधान यौ भैया ।
हमर मिथिला महान यौ भैया । । ।
मैथिल म्याक्स मुकेश यादव
मलेठ -6 गढिया , सप्तरी नेपाल
हाल - बिराटनगर-16 मोरङ्ग नेपाल
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook