SMS अायल मोबाइल म
दैखलौ तऽ छल खाली ,
वेह नम्बर पऽ फोन केलौ
कहलक हम छी अमर पाली !
पैसा सठिगेल पोकेट म
पर्स देखलौ खाली,
face book खोलीक फोटो देखलौ
नय गोरह छल नय काली !
चौवनिया मुस्कान लेलक जान
होस् उडौलक होठक लाली ,
बात करिते चिनजान भेल
छल एस के जी क साली !
दिवाना भेल राजदेब हुनके पाछा
चाहे सोचु गुन्डा मवाली ,
सत्ते कहै छि , छै बड रसगर
बनेबै हम घरवाली !
लेखक: राजदेब राज
ठेगाना: चोहर्वा सिरहा ( नेपाल)
हाल : मलेशिया
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook