माँ मधेश हकन कानि रहल यऽ
माँ मधेश हकन कानि रहल यऽ ,
दर्द एकर नै ओ जानि रहल यऽ !!
छीनकऽ अनकर हक-अधिकार ,
चारि-चारि हाथ फानि रहल यऽ !!
समानताके आवाज उठेला बाद ,
छाती पर बन्दुक तानि रहल यऽ !!
सब एक्के गाछकऽ डारि-पात छी ,
खस सरकार नै मानि रहल यऽ !!
मोनमे राखिकऽ तृष्णाकऽ भण्डार
राष्ट्रवादी अपनाके ठानि रहल यऽ !!
लिला ओकर देखिके विद्यानन्द ,
माथ पर कफन बान्हि रहल यऽ !!
लेखक : विद्यानन्द वेदर्दी
राजविराज, सप्तरी ( नेपाल )
हाल : विराटनगर, मोरङ्ग
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook