गोरी लगए छैं अनमन हंसैत गुलाब सनके
नैना लगए छौ तोहर-2 इंग्लिश शराब सनके.
गोरी.. . . . .
1.
तोहर ठोर केर लाली, अछि मोन बहकौने
कारी नैन केर काजर, अछि पागल हमरा बनौने
मुखड़ा लगए छौ तोहर-2 मीठका ख्वाब सनके
गोरी. . . . . . . . .
2.
उड़ैत केश तोहर, लागौ जेना बदरिया
जाड़क रौद सन तों लागै छैं गे गुजरिया.
जिनगी तोहर छौ सांचो-2 खुजल किताब सनके.
गोरी. . . . . .
3.
छौ "अक्षय" तोरे नेहक, गोरी सुनए दीवाना
मांगए छौ बस रब स' तोरे रूपके खजाना.
अछि "दुर्गानंद" सेहो-2 प्रीतक नवाब सनके.
गोरी. . . . . .
© Akshay Anand Sunny
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook