कबिता

सुन रे मिता सुन रे बगरिया हो..s.s s
सुन रे मिता सुन रे बगरिया हम अछि बिदेशमे
बालबच्चा परिवार याद करै छै हमरा हमर देशमे
सुन रे मिता सुन रे बगरिया हो..s.s s

गिन-गिनके हरदिन काज करै छी राउदबतासके साथमें
कहियो पेट भरै छै मिठगर खानासे त कहियो नुन भातमें
हम ठिक छी से खबर लिखै छी फेसबुकपर संदेशमें
बालबच्चा परिवार याद करै छै हमरा हमर देशमे
सुन रे मिता सुन रे बगरिया हो..s.s s

जौं अपन देशमें नीक उधोगधन्धा रहति त बिदेश नै एतियै
दिनभर कतौ काज करति साँझमें बालबच्चा सँ भेट हेतियै
देखूँ नेपालक नेता संविधान रोपलकै सुखलाह् खेतमे
बालबच्चा परिवार याद करै छै हमरा हमर देशमे
सुन रे मिता सुन रे बगरिया हो..s.s s

कठिन सँ कठिन काज करैत छै नेपाली पैसाके खोजमे
केतबो काज केला पर भी दैत छै RM 50 एक रोजमे
हमहूँ अपन श्रम बेचैत छी मिता सक्यूरिटिके भेषमे
बालबच्चा परिवार याद करै छै हमरा हमर देशमे
सुन रे मिता सुन रे बगरिया हो..s.s s

प्रयास प्रेमी मैथिल®

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top