आईब रहल ऐछ फागूनक माँस
शुरू हुवे लागल खोज पुछारी !
कीन्का घरमे ऐछ विवाह योग्य कन्या बर
घुम लागल ऐछ गाम घरमें बैलक वेपारी !
बेटी बला खोईज रहलय निक घर द्वार ,
त बेटा बला ताकैय कोन से आयेत हजारी !
कैरी रहलय अपन बेटा बेटी के मोलजोल
जेना बेचैय लोग हाटक साग तरकारी !
येकरा सौख कहीं या फ़िर लाचारी ,
बनल जाईय क्यानसर जका बीमारी !
हमहू देस विदेश सब जग घुमलौँ
नई देख्लौँ कतौके लोग येतेक बेबीचारी !
लोगो हसैये आई मैथिल पर,
दस गोटे के बिचमे दैये धुतकारी !
शर्म लगईये आई अपना उपर
कोनाक कहीं अपन लाचारी !
केतनो कहैछी नई पतीयाइये
मैथीलो होइत ऐछ संस्कारी !
कहैये दहेज खातिर पूतहू जराबैछे ,
आखिर ओहो त कीन्ह्करो बेटी छि !
अहा सब जिन्दा दानव छी ,
अहा सबहक इहे खेती छि !
बिनती करैछी हे यौ मैथिल ,
आबो त चलू चोईच बिचारी !
दहेज लेनाई त ग़लत छि ,
अहूँ ई बातके लिय स्वीकारी !
राम शंकर दास
सिरहा नेपाल
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook