कबिता

मैथिल के प्रमुख पाबैन थीक तिला संक्रांति (मकर संक्रान्ति) ई पाबैन भारत आ नेपाल मS कोनो न कोनो रूपे म मनाओल जैत अछि। पौष मास म जखन सूर्य मकर राशि पर अबैत छथि तखन अहि पाबैन के मनाओल जैत अछि। ई पाबैन जनवरी महीना के चौदहम वा पन्द्रहमे दिन पड़ैत अछि। कियाक तS अहि दिन सूर्य धनु राशि के छोईड़ मकर राशि में प्रवेश करैत अछि। मकरे संक्रान्तिक दिन सौं सूर्यक उत्तरायण गति सेहो प्रारम्भ होईत अछि। अहि कारणे अहि पर्व के कतोहू-कतोहू उत्तरायण सेहो कहल जैत अछि। तमिलनाडु में एकरा पोंगल नामक उत्सव के रूप में मनाओल जैत अछि जखन कि कर्नाटक, केरल आ आंध्र प्रदेश में एकरा केवल संक्रांति कहैत अछि ।
नेपाल के प्रान्त में अलग-अलग नाम व भाँति-भाँति केर रीति-रिवाजक द्वारा भक्ति एवं उत्साहक संग धूमधाम से मनाओल जैत अछि । मकर संक्रान्ति के दिन किसान अपन उत्तम फसलक लेल भगवान कें धन्यवाद दय अपन अनुकम्पा सदैव आम जन पर बनोने रखबाक आशीर्वाद मागैत छथि। ताहि कारणे मकर संक्रान्ति के पाबैन के फसल आ किसानक पाबैनक नाम सS सेहो जानल जैत अछि।
नेपाल मे मकर संक्रान्ति के माघे-संक्रान्ति, सूर्योत्तरायण आ थारू समुदाय में माघी कहल जैत अछि । अहि दिन नेपाल सरकार सार्वजनिक छुट्टी दैत अछि। थारू समुदाय केर ई सबसौ प्रमुख त्यैाहार अछि। नेपाल के बाकी समुदाय सेहो तीर्थस्थल में स्नान कय दान-धर्मादि करैत छथि आ शर्करा और कन्दमूल खा धूमधाम सौं मनबैत छथि।ओ नदि के संगम पर लाखक संख्या में नहेबाक लेल जैत छथि। तीर्थस्थल में रूरूधाम (देवघाट) व त्रिवेणी मेला सबसौ अधिक प्रसिद्ध अछि।
जानकारी अलग अलग हिन्दी लेख के अंश के मिला मैथिली में अनुवाद कयल गेल अछि।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top