अपराध हमर...
स्नेहक भुक्ख्ल काएल्हो छलौँ आ आइयो छी
जक्खन विदा भेल छलौँ
अप्पन घर सs छोइर कs सबटा
अप्पन अरमान
ठोइह पाईरक कानय छलौँ हम
कानय छल सब सखी समाज
सब कहै छल एकै बात
राखब ,बउवा कुल परिवार
कतबो आबे दुखक मोटरी
तईयो ने करब ककरो
अपमान 'भाय बापक मान राखब'
बाबाजी के राखब सम्मान
सबटा बात मोने मे राखल
अखनो धैर रखने छी याद
मोने मोन हथोईर रहल छी
कतौ स आबे कोनो आवाज
नेन्ना कनी बैस जाउ
थाईक गेल होयब
भरम टुटल अपने
थाईक क बैस गेलौ
ईहे थिक अपराध हमर
स्नेहक भुक्खल
काइल्हो छलौ आ
आईयो छी !!!
By- Soni Karn ji
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook