कबिता

दहेजक लाज
@अब्दुर रज्जाक
अहा संग किछ~ किछ बातला
रहैय कैला अपनों में एतराज
नै जानी कैला हमरा नैहर स
अहा सबबेर भs जाईछि नाराज।
हमर बिबाह क दहेज़ ला
बैजत कैलो बिच समाज
मुदा नै मुह खोललैन बाबु सब
कोना चुप रहलींन यौ समाज
दिन- दिन हम द्म्मित रहलौ
करैत अहा सबहक़ लाज
अति भs गेल नै सही पाएब
बुलंद करब अपन आबाज।
इ कोन समाजक चलन अछि
नै जाईन पैलु ओकर इ राज।
बिबाहला दुनु कनिया बर चाहि जं
फेन किया बेटाप बस नाज।
घर घर बेटी मिथिलामें अभागी
जन्मसंग एकरा प नै सुभ काज
आब त बेटी प गर्भ में हमला
रोकू आबोअती इ घिर्नित काज।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top