कबिता

ं लगन ं

बैशाख क महिना लगन भेल जोर !
गाउँ नगर मे वर कनिया भेल सोर !!
उ लरका कारी यी लरकी भेल गोर !!!
सब लगन के बात करै साम या भोर !!!!

ढोलक तबला मे बजा के धुइन !
बनिया सब बेचै दहि चुरा या नुन !!
कनिया के सोभै छेदाक भैर सुन !!!
लरका मनाबै खुशी के हनि मुन !!!!

सजल बरात मे भरल तेलक टारी !
लरका क सोभै आइख मे कारी !!
लरकी निघारैत पियरका सारि!!
खुशी के गीत गाबै सब नर नारी !!!

गाउँ नगर मे बराती करै सोर !
मलहान के पात प आलु के झोर !!
गाइर फजहैत स बरात होइ बोर !!!
मिथलाके शुभ लगन महा बेजोर !!!!

कम्बर श्याम
लहान ८
हॉल -(दुबई)

✔ @[480690508763222:]

#अपन_मिथिला

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top