कबिता

भाई बहिन के प्रतिक पाबैन ई रक्षाबन्धन
सब बहिन के मिले खुशिके उपहार

हमर सब बहिनके स-धन्यवाद आभार
जे यी भाईके देलौ सगी बहिन जेहायत दुलार

कुछ जमिन के दुरी रहै हमरा सँ सैयो मीटर हजार
मुदा कहियो कम नै भेल हमरा सँ नेह या दुलार

सोचने नै छेलौ की मिल जेतै खुशि के बहार
अपनों सँ बेशी  मिलल एतs बहिन के दुलार

दुआ अछि हमर रब सँ सुखी रहे परिवार
बस सब दिन बनल रहे हमर सबके यी सिनेह या दुलार

‪__✍अशोक कुमार सहनी
लहान ४रघुनाथपुर
हॉल( दोहा क़तार)

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top