कबिता

शान्ति , संगीत हमर लाडली बहन ।
सबसे प्यारि हमर दोनो बहन ।।

दिया बाइर हमर आरती उतारतै हमर बहन ।
हमर खातिर सुख शान्ति माग्तै भगवानसे हमर बहन ।।

रङ्ग बिरङ्गी राखी लके एतै हमर बहन ।।
मिठाई खियाक हातमे राखी बानतै हमर बहन । ।

थारिमे राखी आ मिठाई लके एतै हमर बहन ।
माथमे हमरा टीका लगाके राखी बानतै हमर बहन ।।

रेसमके धागा जेहेन मज्बुत हेतै यी जिवन,
कहियो नै छुटतै साथ हमर याह दुवा मागतै हमर बहन ।।

चान्द सन्क छै संगीत, शान्ति हमर दुलारी बहन ।
सुख शान्ति स रहती सब दिन याह कामना करब बहन ।।

जरुर आइत राखी बान्ध हमर प्यारी बहन ।
संगीत शान्ति हमर बहन दुलरी छतहिन हमर बहन ।।

बिनोद मेहता,भोक्राहा सुन्सरी
हाल बिराटनगर मोरङ
2073/5/2 गते

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top