कबिता

सब भाई बहिन कैंऽ रक्षाबंधन केर हार्दिक शुभकामना

💐 बिहनि कथा
🐚 रक्षा बंधन

~ माँ गऽई सबहक हाथ पर रंग विरंगक राखी बान्हल देखय छियहि ?
~ आय राखी पूर्णीमा छियहि ने तांय सब राखी बन्हेने छहि !

~ तखन हम किआ ने बन्हेलिए ? कि अपना सब कैंऽ इ पावनि नहि होइत छहि ?
~ इ पावनि सब कैंऽ होइत छहि !

~ जखन सब कैंऽ होइत छहि तखन हमरा हाथ पर किआक ने राखी - - - ?
~ इ भाई - बहिन केर नेहक पावनि छियहि ! बहिन भाई'क हाथ पर राखि बन्हैत छहि ! अहाँ'क बहिन नहि अछि तांय नहि बन्हायल !

~ माँ गऽई पुनीता दाय , तन्नू , आरती , सविता ओहो सब तऽ बहिने ने छियहि ?
~ मुदा ओ तोहर अप्पन बहिन नहि ने छियऽ ओ तऽ पितिऔत बहिन भेलह ने ! तांय - - -

~ पितिऔत रहउ आ अप्पन बहिन तऽ बहिने ने होइत छहि ?
~ से तऽ होइत छहि परंच - - - -
~ परंच - तरंच किछ नहि जाय छियहु सब संऽ राखी बन्हाबऽ - - -

छबि आ कथा ✍  वी०सी० झा"बमबम"
कैथिनियाँ

लाइक करि पेज>>
👇👇👇👇👇

✔ @[1191493417547162:]

✔✔ @[1048782725156233:]

✔ @[480690508763222:]

#अपन_मिथिला

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
अपन मिथिला © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top