गज़ल ~ सबहक भाई के देखिक'
__✍ राजदेव राज
सबहक भाई के देखिक' कनैत होतै दीदी !
बाट' मे नयन बिछाक' दिन गनैत होतै दीदी !!
ठोर मुह सुखौने निराश भेल होतै दीदी !
जखन चौका लगाव लेल पिठार सनेैत होतै दीदी !!
रंग बिरंगक' राखी हमरा लेल लौने होतै दीदी !
गाम ओतै हमर भाई से जनैत होतै दीदी !!
अनेक प्रकारक' फल फूलसँ थारी सजाक' रखने हेतै दीदी !
राखी बान्हव से उत्साह मे फनैत होतै दीदी !! :- राजदेव राज
हाल:- मलेशिया
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook