फूल आसक फेरसँ फुलायल पिया
गाम मोनक घूरिजे आयल पिया
हिय आँगनमे नीप अरिपन पारि देलियै
अहाँक नेहसँ हम कलश ढौरायल पिया
कोइलीक कुहकी संग दम्मस वसंत द'
दीप द्वेशक सहजहि मिझायल पिया
भाव विह्वल करेजा हमर अहाँ नामसँ
अहाँक जोगनी तैयो मुदा लजायल पिया
लाल मेहदी हाथमे क' लेलौ सिंगार हम
बाजि उठलै कंगना संग पएर पायल पिया
~> मैथिल प्रशान्त
दुर्गौली, बेनीपट्टी ।
#अपन_मिथिला
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook