आय टॉप ७ मे स्थान बनएबाक लेल राइजिंग स्टार केर मंच पर उतरतीह मैथिल ठाकुर
अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला/ चैत ,२६ गते ,मिथिला दर्शन.न्यूज, दिल्ली। कलर्स टीवी पर प्रसारित भ’ रहल सिंगिंग शो “राइजिंग स्टार” मे टॉप-7 मे स्थान पक्का करबाक लेल देतिह अपन प्रस्तुति। वैह मैथिली जेकर गायकी सँ शंकर महादेवन सन गायक-संगीतकार शब्दविहीन भए जाए छथि त गायक दिलजीत चरणमे नसमस्तक।मुदा जाहि मैथिली केँ जनता लगातार चारिबेर 90 प्रतिशत सँ बेसि भोट दए टॉप-8 धरि पहुँचेलक ओ मैथिलीकेँ पैछलाबेर, पहिलबेर लाल (रेड) जोन मे बैसय पड़ल छलैन्हि, आइ एकबेर फेर जनता जनार्दन केँ मौका छैन्हि पैछला बात बिसरि कए 90 प्रतिशत सँ बेसि वोट कय मैथिली केँ हरियर(ग्रीन) जोन मे पहुँचेबा। मैथिली अपन दिस सँ आजुक प्रस्तुतिक लेल जबरदस्त मेहनत कएलिह अछि। संभवत: आइ भक्ति गीतक दौर रहतैक जाहिमे हमरा बुझने मैथिली एकबेर फेर नीक प्रस्तुति देतीह किएक त जज दिलजीत मैथिली मे देवी केर रूप सदिखन देखबाक बात करैत रहला अहि तखन त जखन स्वयं जानकी भक्तिमय प्रस्तुति देतीह त हुनका आगु के टिकतनि मुदा अहुठाम बात आबै छैक मैथिली केँ बंपर भोट करबाक तै आइ जुनि बिसरै जाएब। आइ राति 9 बजे सँ कलर्स टीवी पर।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook