नै जानि किए सुन्न भेल गाम-गाम छै
✍👤अमित पाठक
नै जानि किए सुन्न भेल गाम-गाम छै
निशबद्द डीह-डावर उजड़ल उदाम छै
नै जानि किए ~~~~~
जे गाछ-पात नाच करै छल हवाक संग
ल' प्राण-प्रतिष्ठा ओहो ठामेक-ठाम छै
नै जानि किए~~~~~
के आबि हरियरी चढ़ऐत देह पर हमर
दिन-राति यएह गूणैत गाछीक आम छै
नै जानि किए~~~~~
बहिते बसात पछवा पजरल तेहेन अनल
सोनाक ढेर जड़ि क' बनि गेल ताम छै
नै जानि किए ~~~~~
ककरा कहब सुनए के सब आप में बझल
निज जैड़ पकड़ि राखु बाजब हराम छै
नै जानि किए ~~~~~
निशबद्द डीह ~~~~~
✍अमित पाठक
✍👤अमित पाठक
नै जानि किए सुन्न भेल गाम-गाम छै
निशबद्द डीह-डावर उजड़ल उदाम छै
नै जानि किए ~~~~~
जे गाछ-पात नाच करै छल हवाक संग
ल' प्राण-प्रतिष्ठा ओहो ठामेक-ठाम छै
नै जानि किए~~~~~
के आबि हरियरी चढ़ऐत देह पर हमर
दिन-राति यएह गूणैत गाछीक आम छै
नै जानि किए~~~~~
बहिते बसात पछवा पजरल तेहेन अनल
सोनाक ढेर जड़ि क' बनि गेल ताम छै
नै जानि किए ~~~~~
ककरा कहब सुनए के सब आप में बझल
निज जैड़ पकड़ि राखु बाजब हराम छै
नै जानि किए ~~~~~
निशबद्द डीह ~~~~~
✍अमित पाठक
![]() |
कवि- अमित पाठक जी |
0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook